हमर मिथिला महान हमर मैथिली महान,
चाकर उगना शिव-शंकरकेँ महिमा महान।
हमर मिथिला महान.......................
हमर उत्तरमे हिमगिरिकेँ उन्नत अछि भाल,
हमर दक्षिण बहैैए अविरल गंगा विशाल,
पूरव कोसी बहैए पश्चिम गण्डकी उछाल,
बीच भूमिखण्ड मिथिलाक माटिसँ नेहाल।
हमर मिथिला महान .................
हमर दक्षिण बहैैए अविरल गंगा विशाल,
पूरव कोसी बहैए पश्चिम गण्डकी उछाल,
बीच भूमिखण्ड मिथिलाक माटिसँ नेहाल।
हमर मिथिला महान .................
निमि नृपतिकेँ मथि ॠषि मिथि प्रगटाएल,
मिथिक वंशज जनक राजा विदेह कहाएल,
अपनहि हाथसँ हर जोति सीता उपजाएल,
व्रह्म रामक पाणिग्रहणकेँ गौरव बनाएल।
हमर मिथिला महान....................
मिथिक वंशज जनक राजा विदेह कहाएल,
अपनहि हाथसँ हर जोति सीता उपजाएल,
व्रह्म रामक पाणिग्रहणकेँ गौरव बनाएल।
हमर मिथिला महान....................
याज्ञवल्क्य आचार्य महिमा मंडित छलाह,
वाचस-मंडण-आयाची हमर गौरव भेलाह,
कपिल-गौतम-कणाद सन दार्शनिक छलाह,
ॠचा वेदमंत्रक बीज भूमि वैदिक भेलाह।
वाचस-मंडण-आयाची हमर गौरव भेलाह,
कपिल-गौतम-कणाद सन दार्शनिक छलाह,
ॠचा वेदमंत्रक बीज भूमि वैदिक भेलाह।
हमर मिथिला महान हमर मैथिली महान,
चाकर उगना शिव-शंकरकेँ महिमा महान।
हम मिथिला महान हमर मैथिली महान।।
📝अमरनाथ मिश्र (भटसिमरि)
चाकर उगना शिव-शंकरकेँ महिमा महान।
हम मिथिला महान हमर मैथिली महान।।
📝अमरनाथ मिश्र (भटसिमरि)
0 comments:
Post a Comment
Thanks for your valuable feedback. Please be continue over my blog.
आपकी बहुमूल्य प्रतिक्रिया के लिए धन्यवाद। कृपया मेरे ब्लॉग पर आना जारी रखें।