जानकी महोत्सव

जखन सरस्वती पूजा, दुर्गा पूजा, काली पूजा, गणेश पूजा सभतरि, तँ मिथिला मे जानकी पूजा किया ने ???
समस्त मिथिलावासी सँ हाथ जोइड़ विनती करैत छी जे अहि बेर 10 मई कँ जानकी नवमी अछि। अपने कत्तहू होइ अहि बेर 10 मई क' जानकी-नवमी पूजनोत्सव जरूर मनाऊ। मिथिला मे छी त' अपना टोला, चौक, मुहल्ला, गाम, बाजार मे पूजा करू। बाहर छी त मैथिल कम्यूनिटी आपस मे बैसू, संवाद करू आ जौं विशाल नहि हुए त' सरस्वती पूजा जकां छोट छीन आयोजन ही करू, लेकिन करू जरूर। नै हुए त जानकी नवमी दिन अपना घरे मे जानकी-पूजा करू। 
                             अहि बरख सौं मिथिला मे एकटा नव परम्परा के शुरुआत होई। मिथिला के सांस्कृतिक पहचान सिया-धिया से  जुड़ल अछि आ आइयो मिथिला के घर-घर में सीता के अप्पन बेटी जेना मानल जाइया। ओतहि मिथिलाक बेटी मे सीताक अंश लोक देखैत छैथ। मुदा दुर्भाग्य सँ जानकी के प्रागट्य दिवस जानकी-नवमी अपेक्षाकृत विशेष भव्यता स नहि मनायल जाइत अछि। किएक नै अहि सालसँ जानकी के आम मैथिल जनमानस के सांस्कृतिक चेतनाक केंद्र स्थापित करै लेल जानकी-नवमी के भव्य-दिव्य आयोजन कायल जाय। 
                                        जे भगवान गणेशक पूजा मराठी सभ करैत छल से हमसभ समुच्चा बिहार मे सेहो गणेश जीक पूजा क' गणपति बप्पा मोरया कर लगलहुँ।  मुदा बढ़ दुख होइया जे अपन माता सीता जिनकर जन्म अपने मिथिलाक धरती पर सीतामढ़ी केँ पुनौराधाम मे भेल रहनि आइ हमसभ हुनका बिसरि गेल छी। जानकी नवमी मात्र मन्दिरक पूजा जानि नहि छौइड़ अहि बेर सँ समस्त मिथिला मे माँ जानकीक छोट छीन मूर्ति बना वा फोटो टाँगि पूजा कयल जएबाक चाही।
                                      जेना मराठी सभ गणेश चतुर्थी एवं शिवाजी के अप्पन सांस्कृतिक चेतना के केंद्र बनेने छैथ, ब्रज क्षेत्र मथुरा मे कृष्ण जन्मोत्सव मनायल जाइत अछि, काशी मे महादेव सांस्कृतिक पहचान छैथ। तहीना जानकी नवमी के माध्यमे हमसभ माता सीता केँ मैथिल मनोभाव में उत्सव के परंपरा पुनर्स्थापित करब।जानकी नवमी के भव्य आ दिव्य पूजन के उत्सव बना हम सब गामे गाम ल जाय।
                                           आशा अछि जे जँ अहि साल पांचों ठाम जानकी पूजनोत्सव मनायल गेल तँ अगिला साल सँ मिथिलाक सैकड़ो गाम आ शहर मे इ आयोजन होब लागत।
अही विश्वासक सँग समस्त मिथिलावासी केँ जानकी नवमिक बहुत बहुत रास शुभकामना!

जय माँ जानकी! जय मिथिला!! जय मैथिली!!

                                               
                                       
सभार :- एकटा मैथिल माँ जानकी क भक्त फेसबुक स।
Share on Google Plus

About सौरभ मैथिल

This is a short description in the author block about the author. You edit it by entering text in the "Biographical Info" field in the user admin panel.

0 comments:

Post a Comment

Thanks for your valuable feedback. Please be continue over my blog.

आपकी बहुमूल्य प्रतिक्रिया के लिए धन्यवाद। कृपया मेरे ब्लॉग पर आना जारी रखें।

Disclaimer: इस ब्लॉग पर बहुत जगहों से content को उपलब्ध किया जा रहा है, अगर आपको लगे की ये चीज आपकी है तो आप सम्बंधित पोस्ट पर कमेंट करें ना की हमें कॉल करने की कोशिश ।